उजरल घर मैया,
आहा बसाबै छी,
हमरा किये मैया,
घर स भगाबै छी।।
एकटा महल मैया,
हमहु बनोलियै,
सपना जेना,
सब रंग में सजोलीयै,
एक ग्यान के रे दिप,
कीया ने जराबै छी,
हमरा किये मैया,
घर स भगाबै छी।।
मानल कपुत हम,
छि त अहिके,
तेजब आहां माने,
रहब कहीके,
आंचर आशीष मैया,
कीयै ने बरहाबै छी,
हमरा किये मैया,
घर स भगाबै छी।।
आहा बरु छोरु मां,
हम ने छोरब हे,
प्राणे की राईख हेतै,
ज मुह मोरब हे,
आंगुर पकैर कीये,
लग ने बजाबै छी,
हमरा किये मैया,
घर स भगाबै छी।।
उजरल घर मैया,
आहा बसाबै छी,
हमरा किये मैया,
घर स भगाबै छी।।
Singer – Poonam Mishra