सिंह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती,
हसती खल-खल दांत झल-झल,
रूप सुन्दर भगवती,
सिह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती।।
शंख गहि-गहि चक्र गहि-गहि,
खड्ग गहि जगतारिणी,
परशु गहि-गहि पाश गहि-गहि,
असुरदल संघारिणी,
सिह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती।।
उदित दिनकर लाल छबि निज,
रूप सुन्दर भगवती,
जीभ लह-लह लाल लोचन,
श्रवण कुण्डल शोभती,
सिह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती।।
नाथ सब अनाथ के माँ,
भक्तगण प्रतिपालिनी,
महामाया देवी मैया,
दुर्गा दुर्गति नाशिनी,
सिह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती।।
सिंह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती,
हसती खल-खल दांत झल-झल,
रूप सुन्दर भगवती,
सिह पर एक कमल राजित,
ताहि ऊपर भगवती।।
स्वर – मैथिलि ठाकुर।